[Sanjay Kumar Maithil] 6/10/2013 10:33:00 AM

0 views
Skip to first unread message

Jha Saheb

unread,
Jun 10, 2013, 1:03:17 AM6/10/13
to mithil...@googlegroups.com

मिथिलांचल सों मजदूर केर पलायन 


आइ गप्प मिथिलांचल सों मजदूरक पलायन पर । एहि ठाम मजदूर सों तात्पर्य जे सीजन पर बाहर जै छैथ आ सीजन समाप्त भेला पर वापस गाम अबै छैथ । ओ लाखों लोकनि एहि में शामिल नहि छैथ जे अप्रवासी भअ गेल छैथ आ पर्वे-त्यौहार में गाम अबै छैथ । अथवा कोनो काज-प्रयोजन में । 

सामान्यता जून मास में जखन पंजाब में रोपाई प्रारंभ होइछ तअ मैथिल मजदूर २० -३० के समूह में ट्रेन पकरई छैथ । मजदूरक ठेकेदार सब गाम-गाम जा के मजदूर सबके जमा करै या, हुनक ट्रेनक खर्च देह छन्ह आ सब विदाह भअ जाइत छैथ पंजाब केर विभिन्न शहरक लेल । दोसर तरीका अछि जे एकटा समूह अपने ई सब इनजाम कअ के विदाह होइत छैथ । पंजाब केर विभिन्न शहर में लेबर चौक छैक । ओहि थाम जरूरतमंद खेतिहर जिनका मजदूरक आवश्यकता छैन अबैत छथि आ तमाम तरहक जानकारीक आदान-प्रदान केर पश्चात् सब काज में लागि जाइत छैथ । एहि में ध्यान देबअ बला गप्प अछि जे मजदूर लोकनि गाम सों किछु संग नहि लअ जाइत छैथ । ओहि ठाम नव-नव वस्त्र कीन आ अवाश्यकताक आनो चीज कीनै छैथ । एकटा सर्वेक्षण में ई आओल अछि जे अहि सीजन में ओहि ठामक व्यापर चरम पर रहै या । याह प्रकरण कटाईक समय सेहो दोहरायल जाइ या ।

सवाल अछि जे लोक हम्मर, काज तोहर ? मेहनत हम्मर, काज तोहर ? पाइ हम्मर, काज तोहर ? किएक मैथिल मजदूर के परदेस जाए पडैछ काज लेल ? किएक तअ एतय काज उपलब्ध नहि अछि । खेत बांटि-खूटि एतेक छोट भअ गेल जे वैज्ञानिक खेती संभव नहि । हजारों एकड़ भूमि परता पडल अछि । एहि सों क्षेत्र केर सामूहिक आमदनी कम भअ जाइत अछि । जाहि सों सामान्य जीवन स्तर गिर जाइत अछि । यदि भूमिक प्रबंधन ठीक हुअए तअ मिथिला अनाजक गढ़ बनि सकै या । अहि ठाम पैनक अभाव नहि छैक । अभाव छैक तअ पैनक प्रभन्धक । अहि ठाम काज केनिहारक अभाव नहि छैक । अभाव छैक तअ बिजलीक । ई प्रबन्ध सरकारक जिम्मेवारी थिक । आजादीक एतेक सालक बादो बिहार सरकार किछु नहि केलक । किएक नहि केलक ?

नहि केलक तअ नहि केलक । सब मैथिल सों निवेदन जे उम्मीद छोडू एहि बिहारी सरकार सों । अप्पन राज्य बनाउ । मिथिला राज्य बनाउ । अप्पन विकासक लगाम अपना हाथ में लियअ । अप्पन पंजाब मिथिला में बनाउ । लेबर चौक पर तरकारी आ माछ जेकाँ बिकब बंद करू । राज्य लियअ । कहियौ मिथिला राज्य सों कम किछु स्वीकार नहि । आब हमर विकासक विधाता बिहार सरकार नहि ।

विशेष अगिला अंक में ..............................अपनेक संजय झा (9213000762-फरीदाबाद)


--
Posted By Jha Saheb to Sanjay Kumar Maithil at 6/10/2013 10:33:00 AM
Reply all
Reply to author
Forward
0 new messages