लेख - इ बिडम्बना किएक

0 views
Skip to first unread message

मैथिलपुत्र

unread,
Feb 15, 2012, 2:07:57 AM2/15/12
to मैथिलपुत्र

इ मात्र विडंबना कहु वा कोनो अभिशाप, जे राजनितिक आजादी मिललाक ६५ वर्ष
बादो हम मिथिलाबासी अपन सोच कए जाति-पाति सँ ऊपर नहि उठा प रहल छी |
मात्र राजनितिक आजादी एही कारने जे, राजनितिक रूप सँ हम स्वतन्त्र छी
परञ्च आर्थिक रूप सँ हम एखनो पराधीन छी | आर्थिक पराधीनता | अर्थात हम
अपन इच्छानुसार खर्च नहि कय सकै छी, मने धनक अभाब | हमर मोन होइए अपन
बच्चा कए कॉन्वेंट स्कूल में पढाबी मुदा नहि पढ़ा सकै छी, इ थिक आर्थिक
पराधीनता | हमर मोन होइए नीक मकान में रही मुदा नहि किन सकै छी, इ थिक
आर्थिक पराधीनता | हमर मोन होइए हमरो लग मोटर साईकिल, कार हुए, हमरो
कनियाँ-बच्चा नीक कपड़ा पहिरथि मुदा नहि, इ थिक आर्थिक पराधीनता |
स्वाधीनता कए ६५ वर्ष बादो आर्थिक पराधीनता किएक ?
की हमरा लग बिद्या कम अछि ?
की हम कोनो राजनेता नहि बनेलहुँ ?
की हम प्राकृतिक रूपेण उपेक्षित छी ?
उपरोक्त सब बात गलती अछि | विद्या में हम केकरो सँ कम नहि छी | राजनीती
कए खेती अपने खेत में होइए | प्राकृतिक कृपा अपन धरती पर पूर्ण रूपेण अछि
|
तखन किएक ? किएक हम स्वाधीनता कए ६५ वर्ष बादो, आर्थिक पराधीनताक जीबन
जिबैक लेल बेबस छी |
एखनो बच्चा कए चोकलेट नहि आनि हम कहैत छीयै, दाँत खराप भय जेतौ | कमी
चोकलेट में नहि, कमी हमर जेबी में अछि |
आ इ आर्थिक पराधीनताक एक मात्र कारन अछि, हम मिथिला बासिक सोचब तरीका |
आजुक युग में जहिखन मनुख चान-तारा पर अपन पैर राखि चुकल अछि, हम मिथिला
बासी एखन तक जाति-पाति कए सोचि सँ ऊपर उठै हेतु तैयार नहि छी |
बाभन-सोलकन्ह कए नाम पर बिबाद | अगरा-पिछरा कए नाम पर बिबाद | ऊँच-नीच कए
नाम पर बिबाद |
कोनो काज कए लय क आगु बढ़ू, जेकरा नापसन्द भेल, जाति-पाति कए नाम पर बबाल
खड़ा कय देत | आ इ कोनो अशिक्षित नहि बहुत पढ़ल-लिखल वर्गों सँ नहि दूर
भय रहल अछि | शिक्षित माननीयव्यक्ति सब चाहे कोनो जातिक्र हुएथ, अपन-अपन
जाति कए झंडा लय क आगु आबि जाएत छथि |
यदि हम स्वं व अपन मिथिला समाज कए विकसित व विकासशील देखए चाहै छी त जाति-
पाति कए झंझट सँ निकलि क एक जुट भय आगु बढ़य परत |
एक संगे चलै में मतभेद स्वभाबिक छै आ ओकरा दुर केनाई निदान्त आबश्यक छै |
मुदा ओई मतभेद में जाति कए बिच में नहि आनि क व्यक्तिगत आलोचना, समालोचना
करबाचाहि |
की कोनो गोट सफल व्यक्ति कए ओकर जाति कए नाम सँ जानल जाई छै ? नै, त
सफलता कए सीढ़ी पर चलै लेल जाति-पातिक सहारा किएक |
इ जाति-पातिक रस्ता किछु मुठी भरि राजनेताक चालि छैन | हुनकर बात मानि त
हम सब अपन विकास छोरि जाति-पाति में लरैत रहि आ ओ दुस्त राज करैत हमरा सब
कए सोधति रहत |
*** जगदानंद झा 'मनु'
Reply all
Reply to author
Forward
0 new messages