मैथिलिक विकासक बाधा

2 views
Skip to first unread message

Maithilputra

unread,
Dec 3, 2011, 3:46:40 AM12/3/11
to MAITHILPUTRA
मैथिलिक विकासक बाधा
मैथिलिक विकासक बाधा थिक
आजुक युवाशक्ति मिथिलाक
पढि लिख कए बैन जएछथि
डाक्टर आ कलक्टर
मुदा नहि पढि-लिख सकैत छथि
मिथिलाक दू अक्षर
घर सँ निकलैत
ओ कहथिन "चलो स्टेशन"
लागैत छैन संकोच
कहैत में की "चलु स्टेशन"
जेता जखन गामक चौक पर
लागत जेना
बैस रहला मैथिलिक कोइख पर
शैद्खन दुगोत समभाषी
बाजत अपने भाषा
परन्च दूगोत मैथिल
जतबैलेल अपन प्रशनेल्टी
मैथिलि तियाईग कए
बजए लगता सिसत्मेती
अपन मायक भाषा सँ
प्रेस्टीज पर लागैत छैन बट्टा
लोग की कह्तैन
संस्कारी सँ भए गेला मर्चत्ता
संस्कारी सँ भए गेला मर्चत्ता |
***जगदानंद झा 'मनु'
Reply all
Reply to author
Forward
0 new messages